विकराल अगिलगी सँ प्रभावित ५०० परिवारक बिच राहत सामग्री केर वितरण कायल गेल।

 

दोल (बाल्टी) आर मग केर वितरण (दिनांक : ०५/०५/२०१६) - जिला दरभंगा केर हनुमाननगर प्रखंडक पटोरी गाम में विकराल अगिलगी सँ प्रभावित ५०० परिवारक बिच मुफ्त दोल (बाल्टी) आर मग केर वितरण कायल गेल।

 

दिनांक : २९/०५/२०१६ "मैथिल सेवा संस्थान" आर "विशुद्धानंद हॉस्पिटल" के संयुक्त सहयोग सँ पटोरी गामक ऐगलग्गि सँ पीडितक लोगक बिच "निःशुल्क मेडिकल कैम्प" के आयोजन सफल रहल।

 
(१) दरभंगाक १२ दिवसीय महायज्ञ (दिनांक : ०३/०४/२०१६) के कलश यात्रा सँ संस्था धरातल पर उतरैत पूरा रास्ता म' श्रद्धालु लेल पेय जल केर व्यवस्था केलक संगहि पूरा यज्ञ में सेहो संस्था मुफ्त पेय जल के स्टॉल लगेलक।

(२)स्वच्छ्ता सभियान (दिनांक : १७/०४/२०१६) - मैथिल सेवा संस्थान (दिल्ली) टीम द्वारा लक्ष्मीनगर, मेट्रो स्टेशन लग स्वच्छ्ता सभियान के आयोजन कायल गेल।

संस्था केर उद्देश्य 'पढ़े मिथिला - बढ़े मिथिला' के तहत निःशुल्क शिक्षा केंद्र केर सुभारम्भ गाम - डढ़िया मुरियारो, जिला - समस्तीपुर म' भेल। एहि केंद्र म' निर्धन मैथिल लेल निक सँ निक अध्यापक द्वारा शिक्षा केर व्यवस्था कायल जायत। प्रयोगिक रूप में एहि शिक्षा केंद्र केर सुभारम्भ भेल अछि, यदि संस्थाक प्रयास सफल योयत ते एकर विस्तार सगर मिथिला में कायल जायत।